दुधमती नदी संगरक्षण अभियानक पहिल वर्ष

जनकपुर। पर्यावरण संरक्षण एक दृढ संकल्प के साथ ऐतिहासिक दुधमति नदी सफाई अभियान के प्रथम वार्षिकोत्सव पवित्र नदी दुधमती गंगा किनार प मनाऔल गेल अछि।
स्वच्छता अभियान जनकपुरधाम के प्रणेता प्रदेश सांसद रामअशिष यादव के प्रमुख आतिथ्य आ अभियान्ता सुदिप मंडल के अध्यक्षता मे सम्पन्न भेल कार्यक्रम मे स्वच्छता अभियन्ता पर्यावरण योध्दा सुरेश शर्मा, अभियान्ता पत्रकार द्वय अजय अनुरागी, घनश्याम मिश्रा, राष्ट्रिय सर सफाई अभियान्ता धिरेन्द्र साह, मिथिला वाइल लाइफ ट्रष्ट के अध्यक्ष जैविक विविधता संरक्षण अभियान्ता देवनारायण मंडल, कमला बचाउ अभियान के संयोजक बिक्रम यादव, वातावरण मैत्री विधालय अभियान के संयोजक रामकुमार साह ,२५ वार्ड सफाई अभियान्ता किसन साह ,प्याक नेपाल के कार्यकारी निर्देशक सुनिल यादव,दुधमती नदी सफाइ अभियान्ता बिमलेश मिश्रा, परशुराम कुण्ड सफाई अभियन्ता झगरु मंडल, ग्रिन स्पेस के धिरज साह सहित सफाई अभियानी सभ के सम्मान कयल गेल अछि।
समारोह मे सहभागि संघीय प्रहरी एकाइ जनकपुरधाम के प्रमुख प्रहरी बरिष्ठ उपरीक्षक किसोर दहाल, सिंचाई डिभिजन कार्यालय धनुषा के प्रमुख डिई भगवान झा सहित के वक्ता सभ जल, जमिन, वायु आ पर्यावरण संरक्षण विषय प बिचार व्यक्त कयलन्ही।