रामानन्द युवा क्लवक ३४-म् वार्षिकाेत्सव समाराेह सम्पन्न भेल

श्री रामानन्द युवा क्लवक ३४-म् वार्षिकाेत्सव समाराेह प्रदेश नं. २ के भाैतिक पूर्वाधार तथा विकास मंत्री माननीय जीतेन्द्र साेनल जीक प्रमुख आतिथ्यमे सम्पन्न भेल ।

क्लवक अध्यक्ष मनमाेहन साहजीक अध्यक्षतामे भेल एहि कार्यक्रममे क्लवद्वारा प्रतेक वर्ष देल जाएबला विद्यापति स्मृति पदक प्रा. परमेश्वर कपडि आ राजनारायणा कला पुरस्कार मिथपलाक सुप्रसिद्ध गायक अभास लाभ जीके प्रदान कएल गेल, संगहि रेडक्रसके नारायण न्याेपाने जीके स्मृति चिन्ह आ दाेसल्ला ओढा क सम्मान कएल गेल ।

कार्यक्रममे प्रदेश नं. २ प्रदेशसभा नेपाली कांग्रेसक संसदीय दलक नेता माननीय रामसराेज यादव, राजपकाके सचेतक माननीय परमेश्वर साह, क्लवक संस्थापकअमर चन्द्र अनिल , पूर्व अध्यक्ष अशोक दत्त जीवनाथ चौधरी नवीन मिश्र संगहि विभिन्न संस्थाक प्रतिनिधि, पत्रकार, रक्तदान कएनिहार व्यक्ति, क्लवक पदाधिकारी आ सदस्य लाेकनिके उपस्थिति रहल ।